विद्यापति विद्यामंदिर मे स्मृति संध्या आयोजित


कलकत्ता : कार्तिक धवल त्रयोदशी (24 नवम्बर) कें मिथिला सांस्कृतिक परिषद् द्वारा विद्यापति स्मृति संध्या आयोजित भेल. एहि मे महानगरक मैथिल लोकनि जुटलाह आ कवि कोकिल प्रति श्रद्धा प्रकट केलनि. 

वरिष्ठ साहित्यकार रामलोचन ठाकुर केर अध्यक्षता मे आयोजित सभा मे वक्ता लोकनि विद्यापति कें कालजयी कवि कहलनि. विद्यापतिक वैश्विक महत्व आ स्वीकार्यता अछि आ तैं ई अमर छथि. देसिल बयना कें स्थापित करबाक हिनक प्रयास कें हमरा लोकनि कतेक मान करैत छी से सोचबाक बेगरता अछि. 


एहि अवसर पर नवकृष्ण ऐहिक केर व्यंग्य पोथी 'खुरचनभाइक कछमच्छी'क विमोचन साहित्यकार नवीन चौधरी केलनि. मैलोरंग प्रकाशनक ई पोथी प्रकाशन सं पहिनहि सं खूब चर्चा मे रहल अछि आ उपस्थित लोकनि पोथी कें देखैत हुलसित भेलाह.

कार्यक्रम मे अशोक चौधरी, शिवचंद्र झा, भास्कर झा, पवन मिश्र, कामेश्वर कमल, विद्यानंद झा, संतोष मिश्र, प्रकाश झा अपन अपन विचार प्रकट केलनि. कार्यक्रमक संचालन मिथिलेश कुमार झा आ धन्यवाद ज्ञापन दयाशंकर मिश्र केलनि.

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post