संकल्प यात्रा बहन्ने आत्ममंथन करैत मिथिला पार्टी!

समस्तीपुर :  अखिल भारतीय मिथिला पार्टी राज्य संकल्प यात्रा केलक अछि बैनी सं विद्यापतिनगर धरि. लगभग दर्जन भरि कार्यकर्ता संगे ई यात्रा 24 नवम्बर (कार्तिक धवल त्रयोदशी : विद्यापति स्मृति दिवस) कें कएल गेल. पार्टी महासचिव रत्नेश्वर झा आ प्रदेश महासचिव उमेश चन्द्र भारती  सहित अन्यान्य कार्यकर्ता लोकनि शामिल भेलाह.


विधानसभा इलेक्शनक हतप्रभ करयबला रिजल्ट कें देखैत पार्टी आत्ममंथनक मूड मे देखबा मे आएल. एहि यात्रा मे मिथिलाक जड़ि तलाश करबाक रूप मे देखल जा रहल अछि.

रत्नेश्वर झा मिथिमीडिया संग बातचीत मे कहलनि जे चुनाव अबैत जाइत रहतैक आ आन-आन पार्टी सभ सेहो अबैत जाइत रहत मुदा मिथिला पार्टी सदति मिथिला मे मैथिलक बीच रहत. 


चुनाव परिणाम सं मिथिलाक नाम सं राजनीति कएनिहार एकदम अलग-थलग महसूस क' रहल छथि. एहि यात्राक पाछां पार्टीक जे सोच हो मुदा लोकक झुझुआन उपस्थिति बहुत किछु स्पष्ट क' रहल छल. दोसर दिस कार्यकर्ता एकरा नमहर संघर्षक बढ़ल डेग बता रहल छथि.

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post