सिंगापुर मे मिथिलाक तितली मिथिलाक गुमान


मिथिला आइ कनियो अस्तित्व मे छै त' अपन धियाक बलें. भाखा हो, कला हो, संगीत हो सभ मे मिथिलाक धिया एकरा संरक्षित क' रहलीह अछि. मिथिला पेंटिंग देश-विदेश मे बेस लोकप्रिय भेल अछि. ई भारतवर्ष कें रिप्रजेंट करैत अछि कलाक क्षेत्र मे. एहू मे मिथिला पेंटिंग कलाकार लोकनिक मेहनति आ लगन एकरा वैश्विक पटल पर जगजियार केने छै. हम बात क' रहल छी सिंगापुर मे तितली गैलरीक डाइरेक्टर श्वेता झा केर. रांची मे पलल-बढ़ल श्वेता मूल रूप सं मंगरौनी (मधुबनी)क छथि आ एक दशक सं सिंगापुर मे रहि मिथिला पेंटिंग कें विश्वभरि मे पहुंचा रहल छथि.


मिथिला पेंटिंग कें सिंगापुर सहित समूचा विश्व पटल पर पहुंचयबाक सपना नेने श्वेता कलाक माध्यम सं मिथिलाक सुवास पसारि रहलीह अछि. ई टटके रोमा आर्ट फेयर मे भाग लेलीह अछि. पेंटिंग कें आगू बढयबा मे नीक भूमिका निमाहि रहलीह अछि.

श्वेता कहैत छथि जे नेनहि सं कलाक प्रति रुझान छलनि आ एकर अभ्यास करैत रहलीह. ई जखन सिंगापुर एलीह त' आर्ट गैलरीक माध्यम सं एकरा कलाप्रेमी धरि पहुंचयबा मे लागि गेलीह. हिनका मिथिमीडिया दिस सं बहुत-बहुत बधाइ आ शुभेच्छा.
Previous Post Next Post