कविगोष्ठी ओ स्मारिका विमोचन संग 'चेतना समारोह' संपन्न


कलकत्ता : उपनगरीय क्षेत्र रिषड़ा मे पनरह अगस्त कें 'चेतना समारोह' केर आयोजन भेल. मिथिला नव चेतना समिति अपन सातम स्थापना दिवस पर ई समारोह आयोजित केलक. एहि अवसर पर विद्वत अभिभाषण ओ कविगोष्ठी आयोजित कएल गेल. संगहि स्मारिका 'नव चेतना' केर विमोचन सेहो कएल गेल.


रूपसी बाङ्ला भवन केर चारिम तल अवस्थित सभागार मे ई दू सत्रक कार्यक्रम राखल गेल छल. प्रसिद्ध रंगकर्मी  भवनाथ झा केर संचालन मे शुरू भेल कार्यक्रमक पहिल सत्र मे विद्वत भाषण भेल. मुख्य अतिथि राजीव रंजन मिश्र अपन वक्तव्य गजलक रूप मे देलनि. साहित्यिक नवीन चौधरी मिथिलाक इतिहास पर इजोत देलनि त' वरिष्ठ कवि राम लोचन ठाकुर मैथिली भाखा आ पहिचान कें अक्षुण्ण रखबा लेल चेतना जगबए पर इजोत देलनि. समितिक भवनाथ झा सेहो अपन उदगार व्यक्त केलनि. एही सत्र मे स्मारिका नव चेतना केर विमोचन भेल. स्मारिका लगातार पाँचम खेप प्रकाशित भेल अछि आ ई पूर्णतः साहित्यिक पत्रिका सन अछि. पाठक लेल पूरा खोराक समायोजित कएल गेल छै. विमोचनक बाद उपस्थित लोकक मध्य स्मारिका वितरित कएल गेल.


एहि अवसर पर समितिक नबका कार्यकारिणीक घोषणा कएल गेल. समितिक सदस्य लोकनि मिथिला भवन निर्माण लेल कीनल जमीन पर शीघ्र भवनक काज शुरू करबाक प्रतिबद्धता जनओलनि. समितिक पूर्व अध्यक्ष अरुण कुमार सिंह केर योगदान आ समर्पण कें देखैत हुनका पाग दोपटा सं सम्मानित कएल गेलनि.


दोसर सत्र मे कवि लक्ष्मण झा 'सागर' केर अध्यक्षता मे कवि गोष्ठी केर आयोजन कएल गेल जाहि मे गंगा झा, बिनय भूषण, नबोनारायण मिश्र, आमोद कुमार झा, मिथिलेश कुमार झा, उमाकांत झा 'बक्शी', राजीव रंजन मिश्र, चन्दन कुमार झा, अनूप सत्यनारायण झा, अजय तिरहुतिया, विजय इस्सर, रंजीत कुमार झा 'पप्पू', अरुण कुमार सिंह, रूपेश त्योंथ आदि कवि लोकनि अपन रचना पढ़लनि.

अध्यक्षक धन्यवाद ज्ञापनक बाद कार्यक्रम संपन्न कएल गेल. ज्ञात हो जे पनरह अगस्त कें प्रत्येक साल ई आयोजन कएल जाइछ.

(रिपोर्ट-फोटो : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post