शिवरात्री महोत्सव केन्द्रित स्मारिका प्रकाशित

दड़िभंगा : पछिला वर्षक भाँति एहि वर्ष सेहो दरभंगा जिलाक विशौल, टटुआर गामक किछु उत्साही युवक द्वारा शिवरात्री महोत्सव केन्द्रित स्मारिका प्रकाशित कयल गेल अछि. स्मारिका शेखर प्रकाशन, पटना द्वारा प्रकाशित भेल अछि जकर संपादन युवा साहित्यकार आ रंगकर्मी मुकुंद मयंक केलनि अछि.

अपनेक जनतब दऽ दी जे मनीगाछी प्रखंडक एहि गाम (टटुआर)मे सब साल शिवरात्रीक उपलक्ष्यमे बाबा सिद्धेश्वर महादेवक प्रांगनमे तीन दिवसीय कार्यक्रमक आयोजन कायल जाइत अछि. पूजा-अर्चना तँ होइते अछि लोकक मनोरंजन लेल तीन दिन धरि मेला आ सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन सेहो रहैछ.

आ एकरा आओर आगाँ बढ़बैत पछिला सालसँ एहि वृहत रूपसँ होमऽबला शिवरात्री महोत्सवमे एकटा नव अध्याय जोड़ल गेल आ एकर उपलक्ष्यमे मातृभाषा मैथिलीमे स्मारिका प्रकाशित करब आरंभ भेल अछि.

(रिपोर्ट : बाल मुकुंद पाठक)
Previous Post Next Post