परिषद् मनौलक अंतर्राष्ट्रीय मातृभाषा दिवस

राजविराज : एकीकृत नेकपा माओवादीक पोलिट ब्यूरो सदस्य रामचन्द्र झा शाह वंशक उत्पत्ति संगहि मैथिली भाषा पर दमनक शुरुआत भेल जे श्रंखला अखन धरि जारी अछि. अंतर्राष्ट्रीय  मातृभाषा दिवसक अवसरपर मैथिली साहित्य परिषद्द्वारा राजविराजमे आयोजित कार्यक्रममे बजैत झा ई बात बतौलनि. गोपालवंश, महिपालवंश, लिच्छवी वंश होइत शाहवंश धरिक काल मैथिली भाषाक लेल स्वर्णिम काल रहल छल. नेपालमे मल्लकाल धरि मैथिली भाषा राजकाजक भाषा रहितो शाहवंशक उदय संगहि मैथिली भाषा उपर दमनक श्रृंखलाक शुरुआत भेल छल. मैथिली करीब हजार बर्ष पुरान भाषा रहितो एकर समुचित संरक्षण, संबद्र्धन नइ भऽ सकल प्रमुख अतिथि रामचन्द्र झा बतौलनि । नेपालमे एक भाषा, एक भेष केर नीतिक कारणें मैथिली सहित अन्य मातृभाषा सब भाषिक दमनक नीतिक कारण कतेको भाषा तऽ लोप भऽ गेल, मुदा मैथिली भाषा समृद्ध भेलाक कारणे अखन धरि टिकल अछि. मैथिली भाषाकें जीवन्त राखै लेल शिक्षाक माध्यम बनेबाक संगहि सरकारी कामकाजक रूपमे प्रयोग कयल जेबा पर जोर देलनि. मातृभाषा सबहक संरक्षण करब राज्यक दायित्व रहल झा बतौलनि.

मातृभाषामे पठन-पाठन होयब प्रभावकारी होयत कहैत ओ कहलनि –मैथिली सहितक मातृभाषा सबहक़ अधिकार आब बनैबाला संविधानमे भेनाइ जरुरी अछि. तहिना एकीकृत नेकपा माओवादीक सभासद उमेशकुमार यादव मैथिली नेपालक दोसर सबसँ पैघ भाषाक रूपमे रहलो पर शासक वर्गद्वारा एहि भाषाक समुचित स्थान नइ दऽकऽ मैथिली भाषाक दमन केने अछि. महिला, बाल-बालिका तथा ज्येष्ठ नागरिक समितिक सभापति रंजु ठाकुर कहलनि–मैथिली भाषाक समुचित विकास नइ भेलामे मैथिली भाषी सब सेहो जिम्मेबार अछि. तहिना नेपाली काँग्रेसक केन्द्रीय सदस्य तथा सभासद मीनाक्षी झा, तहिना सभासद मिथिला चौधरी, मैथिली भाषाक संरक्षण, संवर्धनक आवश्यकता रहल बतौलनि. कार्यक्रममे मैथिल महासंघ, नेपालक अध्यक्ष विष्णुकुमार मण्डल, जनआनन्द मिश्रा, पूर्व अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र, अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली परिषद नेपालक अध्यक्ष करुणा झा, मैथिल महिला परिषद्क संस्थापक अध्यक्ष मीना ठाकुर मन्तव्य व्यक्त केलनि. कार्यक्रमक अध्यक्षता शुभचन्द्र झा तथा संचालन श्यामसुन्दर यादव केलनि.

(रिपोर्ट/फोटो : करुणा झा)
Previous Post Next Post