मैथिल मंचक कार्यक्रम ओ क्विज प्रतियोगिता


कलकत्ता : मैथिल युवा सामाजिक विकास मंच द्वारा 15 फरवरीकें कार्यक्रम आयोजित भेल जाहिमे मैथिली पत्रिका कर्णामृत केर संपादक राजनन्दन लाल दास मुख्य अतिथिक रूपमे उपस्थित छलाह. एहि अवसरपर नबोनारायण मिश्र, मिथिलेश कुमार झा, जुगल किशोर झा, सुबिमल वर्मा, अशोक कुमार झा आदि उपस्थित छलाह. 

संस्था केर अध्यक्ष प्रेम नारायण झा जनओलनि जे प्राथमिकसं हाइस्कूलकेर छात्र लोकनि लेल क्विज प्रतियोगिता केर आयोजन कएल गेल छल. संगहि विद्यापतिक प्रचार-प्रसार हेतु हुनक भराएल फोटो सेहो वितरित कएल गेल. मैथिली-मिथिलाक प्रचार-प्रसार लेल मंच सक्रिय रहल अछि.

ज्ञात हो जे मंच उत्तराखंड त्रासदीमे सेहो लोकक मदति लेल राशि ओ वस्त्र पठओने छल. एकर संगहि संस्था एम्बुलेंस सेवा सेहो परिचालित रखने अछि.  

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post