पाटलीपुत्र नाट्य महोत्सवमे मैथिली नाटकक मंचन

पटना : बिहारक चौंतीस बर्ख पुरान सांस्कृतिक संस्था 'प्रांगण' आ संगहि केन्द्र आ बिहार सरकारक कला आ संस्कृति मंत्रालय द्वारा आयोजित तीसम पाटलीपुत्र नाट्य महोत्सव-2015क दोसर दिन (अर्थात 3 फरवरीकें) मैथिली नाटक - मैथिल नारी : चारि रंग'क मंचन भेल. ई पहिल अवसर अछि  जे एहि महोत्सवमे कोनो मैथिली नाटक मंचित भेल अछि.


मैथिलीक प्रख्यात नाट्य संस्था मैलोरंग (दिल्ली) द्वारा ई नाटक प्रदर्शित कएल गेल. चर्चित कथाकार राजकमल चौधरीक किछु मैथिली कथाकें नाट्य रूपांतरण कऽ मंचित कएल गेल, जकर निर्देशन केलथि देवेन्द्र राज अंकुर आ सहनिर्देशक छलथि प्रकाश झा.

राजकमल कथा ललका पाग, वैष्णव, अलिखित पत्र केर नाट्य रूपांतरण कएल गेल छल. नाटकमे मुकेश झा, अनिल मिश्र, अमरजी राय, प्रवीण कश्यप, सोनिया झा आ सत्या मिश्र अभिनय केलनि. नाटक सराहल गेल.

(रिपोर्ट/फोटो : बाल मुकुंद पाठक)
Previous Post Next Post