मिथिला महोत्सवक तेसर पर्व सर्वभाषा काव्य संध्या


कलकत्ता : मिथिला विकास परिषद् द्वारा ठानल 14 दिवसीय मिथिला महोत्सवक तेसर पर्वक रूपमे सर्वभाषा कवि संध्या केर आयोजन विगत रविदिन 1 फरवरीकें बड़ाबाजार पुस्तकालयमे आयोजित भेल. कार्यक्रम उदघाटन गीतेश शर्मा केलनि. शैल झा, रूपा चौधरी, श्रीमती किरण प्रतिहस्त द्वारा गोसओनिक गीत प्रस्तुत कएल गेल. कार्यक्रमक अध्यक्षता मिथिला विकास परिषदक प्रेसीडेंट अशोक झा केलनि ओ संचालन अंजय चौधरी. अशोक झा कहलनि जे बंगालमें रहयवाला सभ भाषाभाषीक मध्य एहि माध्यमे समरसता पसरत. एहि अवसर पर  प्रहलाद राय गोयनका, विधु शेखर शास्त्री आ छपते-छपते समूहक संपादक विश्वम्भर नेवर आदि लोकनि सेहो अपन उदगार व्यक्त केलनि.

विभिन्न भाषाक कूल ३२टा कवि काव्य पाठ केलनि. गोपी कान्त झा "मुन्ना", आमोद झा, अजय तिरहुतिया, कुशेश्वर महतो, लछमन झा सागर, विनय भूषण, श्रीमती शैल झा, श्रीमती रूपा चौधरी, अमर नाथ झा "भारती " मैथिली, परम कपूर, सिराज खान बातिश ,श्रीमती शकुन त्रिवेदी, कामना कवियत्री, शैलेन्द्र, मृतुन्जय कुमार सिंह, कुसुम जैन, प्रेम कपूर, हिंदीमे कविता पढलनि. एकर अतिरिक्त बांग्ला, उर्दू, भोजपुरी, उडिया, राजस्थानी, गुजराती, असमिया, नेपाली, संथाली, पंजाबी आदि भाषाक कवि लोकनि सेहो कविता पाठ केलनि. 

कार्यक्रम में बिनय कुमार प्रतिहस्त,पवन ठाकुर, गौरी शंकर मिश्र ,मदन झा, शेखर वर्मा , नबो नाथ झा सहित अनेक कार्यकर्ता शामिल छलाह. काव्य संध्याक पश्चात मैथिलीक समर्पित योद्धा स्वर्गीय लूटन ठाकुरक स्मृतिमे मौन राखल गेल. मंचक नाम पूर्व सांसद कामरेड भोगेन्द्र झा केर नाम पर राखल गेल छल.

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post