वीएमवाइएम: एक डेग सफाइ दिस


नव दिल्ली : दिल्ली स्थित स्वयंसेवी संस्था “विद्यापति मैथिल युवा मंच” प्रायः सभ प्रकारक उद्देश्यपूर्ण सामाजिक क्रियाकलापमे सक्रिय गतिविधिकें संग अपन सहभागिता रखैत अछि. शिक्षा आ स्वास्थ्यकें उद्देश्य स’ स्थापित संस्था पूर्वहि स’ एक गोट डिस्पेंसरी आ एकेडमीकें सफलतापूर्वक सञ्चालन क’ रहल अछि.


वर्तमानमे भारत सरकार द्वारा चलाओल जा रहल “स्वच्छ भारत अभियान”मे संस्था द्वारा एक डेग सफाइ दिस सेहो बढ़बैत समस्त पदाधिकारी आ कार्यकर्ता लोकनि जोर-शोर स’ अभियानक प्रारंभिक शुरुआत स्थानीय क्षेत्र मने पूर्वी दिल्ली (जमुना पार) स्थित पश्चिमी विनोद नगरक शान्ति मार्ग स’ केलनि. हिनका लोकनिक कहब छनि जे स्वस्थ रहबाक लेल डिस्पेंसरी स’ बेसी आवश्यक साफ-सफाइकें अछि तैं एकर प्राथमिकता देब हमरा लोकनिक पहिल कर्त्तव्य आ धर्म अछि.

साफ-सफाइ केर क्रममे स्थानीय निवासी (मैथिल आ अमैथिल) सभ सेहो बढ़ि-चढि क’ भाग लेलनि आ यत्र-तत्र कूड़ा-करकट नैं फेकबाक शपथ लैत लोक सभ स’ सेहो नगर निगम के कूड़ा फेकै बला गाड़ी वा ठाम-ठाम राखल कूड़ादानमे फेकबाक आग्रह केलनि. सफाइकें क्रममे देखल गेल जे जगह-जगह कूड़ा डिब्बाकें अनुपलब्धता सेहो एम्हर-ओम्हर कूड़ा जमा हेबाक एक कारण अछि जकर सूचना अबिलम्ब सम्बंधित विभाग आ स्थानीय निगम पार्षदकें देल जाएत. दूरभाष पर बातचीतक क्रममे पदाधिकारी लोकनि जनतब देलनि जे हमरा लोकनिक एहि अभियानमे जेना एतुक्का स्थानीय लोक आ कार्यकर्ता लोकनि सहयोग देलनि अछि से ज’ भेटैत रहए त’ भिन्न-भिन्न क्षेत्रमे ई अनवरत चलैत रहत.

— मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post