दर्शककें जोड़यमे सफल रहल 'मिथिलाक अभिशाप'


कलकत्ता : मिथिला कल्याण परिषद रविदिन रवीन्द्र भवन रिषड़ामे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह केर आयोजन केलक. परिषद द्वारा 32म आयोजन मे लेखक-निर्देशक शम्भूनाथ मिश्र केर नाटक 'मिथिलाक अभिशाप' केर मंचन भेल. कार्यक्रमक पहिल सत्र मे मंचासीन प्रफुल्ल कोलख्यान, भवनाथ झा, लक्ष्मण झा 'सागर', जीबेन्द्र मिश्र, किरण झा आदि लोकनि अपन वक्तव्य रखलनि. अंजना इस्सर ओ रोशन कुमार झा द्वारा गीत-संगीत केर कार्यक्रम प्रस्तुत कएल गेल. संचालन रंजित कुमार झा 'पप्पू' केलनि.

दहेज़क विरोध मे जागरुकता पसारबाक उद्देश्य सं आयोजित नाटक 'मिथिलाक अभिशाप' एक दिस दर्शक कें खूब हंसओलक त' दोसर दिस लोककें सन्देश देबय मे सफल रहल. व्यंग्यात्मक संवाद आ चरित्र नाटक कें मनोरंजक बनओने रहल संगहि दर्शककें जोड़बा मे सफल रहल. भरी संख्या मे आएल दर्शक जेना नाटक देखबा लेल अपन सीट पर जमल रहथि, नाटकक सफलताक गवाही भेटि रहल छल. नाटकमे भाग लेबय बला प्रमुख कलाकार छलाह शंभूनाथ मिश्र, श्रीमती शशिता राय, दिनेश मिश्र, संजय ठाकुर, आनंद किशोर ठाकुर, केदारनाथ साह, सुधीर झा, रमेश मिश्र, पीयूष कुमार, दिलीप चौधरी, विनय चौधरी एवं अन्यान्य.
Previous Post Next Post