मैथिली भाखा ओ तकनीक

मैथिली मूलतः भारतक पूब ओ नेपालक दच्छिन-पूब भाग मे मातृभाषा रूपें बाजल जाइत अछि. ओना ई भाषा बजनिहार लोक समूचा विश्व मे पसरल छथि. भारत ओ नेपाल केर जाहि भू-भाग केर भाषा मैथिली अछि, मिथिला कहाइत अछि. तें ई कहब सर्वथा उचित होयत जे मैथिली मिथिला केर भाषा थिक. लगभग आठ करोड़ लोक (प्रमाणिक नहि) मातृभाषाक रूपें मैथिली बजैत छथि. मैथिली भारतीय संविधानक आठम अनुसूची मे दर्ज अछि आ नेपालक दोसर पैघ भाषाक रूपें प्रतिष्ठित अछि. 

तकनीक संग मैथिली जुड़ाव संबंधित सूत्र एतय समय-समय पर अपडेट होइत रहैत अछि. इंटरनेट व कम्प्यूटर संबंधित ओ सभ विषय-वस्तुक लिंक जे सोझे मैथिली सं संबन्धित अछि, एतय भेटत.

> विकिपीडिया पर मैथिली


Previous Post Next Post