जीवकांत कें बाल साहित्य ओ प्रवीण कें युवा पुरस्कार

गोहाटी: एहि बरखक बाल साहित्य पुरस्कार हेतु साहित्य अकादेमी दिस सं सात कहानी संग्रह, छओ कविता संग्रह, एक उपन्यास, एक निबंध आ आठ लेखक कें बाल साहित्य मे समग्र योगदान हेतु चयनित कएल गेल अछि. साहित्य अकादेमी केर अध्यक्ष डॉ विश्वनाथ प्रसाद तिवारी केर अध्यक्षता मे भेल अकादेमी केर कार्यकारी मंडलक बैसक मे निर्णायक मंडल द्वारा चयनित पोथी ओ लेखक कें बाल साहित्य पुरस्कार लेल अनुमोदित कएल गेल. मैथिली लेल एहि बरखक बाल साहित्य पुरस्कार लेल (स्व.) जीवकांत कें कविता संग्रह 'हमर अठन्नी खसलइ बन मे' हेतु चुनल गेल अछि. चयन समितिक डॉ धीरेन्द्रनाथ मिश्र, डॉ इंद्रकांत झा ओ डॉ प्रभास कुमार झा  केर अनुमोदन पर जीवकांत कें मरणोपरांत पुरस्कार लेल चुनल गेल अछि.
एकर संगहि प्रवीण कश्यप कें कविता संग्रह 'विषदंती वरमाल कालक राति' लेल साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार हेतु चयनित कएल जेल अछि. साहित्य अकादेमी द्वारा जारी विज्ञप्तिक अनुसार कमलकांत झा, गंगेश गुंजन ओ डॉ ताराकांत झाक चयन समिति मंडल द्वारा देल अनुमोदन पर चयनित कएल गेल अछि.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post