हमर मोन गदगद भ' गेल: नरेंद्र मोदी

पुरनिया: 'हमर मोन गदगद भ' गेल' ई ओ आखर अछि जे मोदी पुरनिया रैली मे बजलनि. भाजपा केर पीएम उम्मीदवार नरेंद्र मोदी मुंहें मैथिली आखर सुनि मिथिलाक लोक कें अजगुत त' लगिते अछि, हर्ख सेहो होइत अछि. राज्यक रैली सभ मे मोदी मैथिली बजैत रहलाह अछि.  एहि सं पहिने ओ पटना रैली मे मैथिली बाजल छलाह त' मुजफ्फरपुर रैली मे मैथिली केर गुणगान कएने छलाह. एक दिस राज्यक नेता लोकनि स्थानीय भाखा केर घोर उपेक्षा करैत छथि त' आन राज्यक मुख्यमंत्री आ पीएम उम्मीदवार मुंहे स्थानीय भाखा सुनि लोक प्रभावित होइत छथि. मोदी अपन भाषण मे नीतीश पर निशाना सधलनि संगहि स्थानीय समस्या सभ पर इजोत देइत भाजपा कें समर्थन करबाक बात कहलनि. दड़िभंगा सं सांसद कीर्ति आजाद सेहो मैथिली मे अपन भाषण देलनि. ओ बजलाह जे बिहार मे विकास ठमकि गेल अछि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post