मैथिलीमे सप्पत लेनिहार सभासद सम्मानित

राजविराज: संविधानसभामे मातृभाषा मैथिलीमे सप्पत लेनिहार तीन गोट सभासद विगत शनिदिन राजविराजमे मैथिली साहित्य परिषद् द्वारा सम्मानित भेलाह अछि.  अन्तरराष्ट्रिय मातृभाषा दिवसकें मैथिली साहित्य परिषद्द्वारा सप्तरी क्षेत्र नम्बर 1 सँ निर्वाचित सभासद मानपुर चौधरी,  2 केर अशोक कुमार मण्डल अमर आ क्षेत्र नम्बर 3 केर उमेश कुमार यादवकें दोसल्ला आ मिथिलाक पागसँ सम्मानित कयल गेल. 
हुनका लोकिन कें परिषद्क पूर्व अध्यक्षत्रय प्राध्यापक अमरकान्त झा, जनआनन्द मिश्र आ विष्णुकुमार मण्डल सम्मानित केलनि. सम्मानित सभासद लोकनि संघीयता मे मैथिली ओ मिथिला लेल अपन कर्त्तव्य आ ताहि हेतु कटिबद्धता जनओलनि. ओ लोकनि कहलनि जे आंदोलन केर खगता अछि. मिथिला क्षेत्रक प्रतिनिधि लोकनि कें एहि हेतु साकांक्ष रहे पडत. मैथिली साहित्य परिषद्क अध्यक्ष विवेकानन्द मिश्रक अध्यक्षतामे आयोजित कार्यक्रममे नेपाल शिक्षक युनियनक अध्यक्ष फुलेश्वरकुमार मण्डल, पूर्व प्राचार्य भोगेन्द्र झा, नेपाल सदभावना पार्टी गजेन्द्रवादीक अध्यक्ष विकासकुमार तिवारी, मैथिली महिला परिषद्क संस्थापक अध्यक्ष मीना ठाकुर, मैथिली जागरण मञ्चक अध्यक्ष आशिन मियाँ, कमला भन्साली, पत्रकार महासंघक सभासद् शिवनारायण साह, सहित अपन मन्तव्य रखलनि. स्वागत मन्तव्य परिषद्क कोषाअध्यक्ष शुभचन्द्र झा आ धन्यवाद मन्तव्य उपाध्यक्ष शतिसकुमार दत्त व्यक्त केलनि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post