दूरस्थ शिक्षा मे सम्मिलित होयत मैथिली!

दड़िभंगा/कलकत्ता: दूरस्थ शिक्षा मे मैथिली हेतु प्रवासी लोकनि साकांक्ष भेलाह अछि. ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे एखन धरि दूरस्थ शिक्षा मे मैथिली कें स्थान नहि देल जायब अजगुत लगैछ। तखन आशा जागल अछि. मिथिला सांस्कृतिक परिषद्, कोलकाता द्वारा 2 अक्टूबर 2013 कें लनामिवि दूरस्थ शिक्षा निदेशक कें दूरस्थ शिक्षा मे मैथिली कें शामिल करबाक हेतु पत्र देल गेल छल. पत्रक संग बहुतो प्रवासी मैथिल लोकनिक हस्ताक्षर अंकित पृष्ठ सेहो पठाओल गेल छल. पत्रक प्रति कुलपति ओ कुलाधिपति कें सेहो देल गेल छल. विश्वविद्यालयक दूरस्थ शिक्षा निदेशालय केर 20 नवम्बर कें भेल बैसार मे एहि मामिला पर चर्च भेल मुदा कोनो निर्णय नहि लेल गेल. 22 जनवरी 2014 कें पुनः परिषद्क सचिव मिथिलेश कुमार झा निदेशक कें पत्र लिखलनि. एहि सं पहिने निदेशालय बैसार ओ मिथिला सांस्कृतिक परिषद् केर पत्र सं सम्बंधित समाद स्थानीय मीडिया मे 21-22 नवम्बर कें पसरल रहल.
आब जखन एही मुद्दा पर राइज फॉर मिथिला सेहो जागल अछि आ सांकेतिक धरनाक बाद अनशन पर जयबाक बात क' रहल अछि, सभक नजरि 28 फरवरी कें निदेशालय केर बैसार पर अटकल अछि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post