दूगोट मैथिली फ़िल्मक संगीत रिलीज

दड़िभंगा. मैथिली फ़िल्म अकादमी, दरभंगाक तत्वावधान मे 2-3 मार्च 2013कें  दरभंगा मे आयोजित प्रथम मैथिली फ़िल्म फ़ेस्टिवलक अवसर पर दूगोट मैथिली फ़िल्म 'चट मंगनी पट भेल बियाह''हमर सौतिन'क ऑडियो (सीडी)क लोकार्पण कयल गेल. महोत्सवक पहिल दिन राजसी मैथिली फ़िल्म प्रोडकशनक पं. बलदेव ठाकुर द्वारा प्रस्तुत फ़िल्म 'चट मंगनी पट भेल बियाह' केर ऑडियो रिलीज कएल गेल. एहि अवसर पर फ़िल्मक निर्देशक आ रंगकर्मी किशोरनाथ, संगीतकार व गायक पवन नारायण, फ़िल्मक पटकथा व संवाद लेखक ऋषि वशिष्ठ, अभिनेता अनिल मिश्रा आदि उपस्थित छलाह. एहि फ़िल्मक ऑडियोमे सातटा गीत अछि जाहिमे अपन सुमधुर श्वर देने छथि प्रसिद्ध गायक रामबाबू झा, पवन नारायण, खुशबू उत्तम, खुश्बू सिंह, ॠचा ठाकुर आदि.
मैथिली फ़िल्म फ़ेस्टिवलक दोसर दिन पं. रतनदेव झा द्वारा प्रस्तुत फ़िल्म 'हमर सौतिन'क ऑडियो (सीडी) रिलीज कएल गेल. एहि अवसर पर फ़िल्मक निर्माता संतोष कुमार झा, निर्देशक मनोज झा, संगीतकार व गायक पवन नारायण, अभिनेता विजय मिश्रा उपस्थित छलाह. सांई श्री फ़िल्म द्वारा प्रस्तुत एवं विनोद साजन, नेहा, विजय मिश्रा, शुभ नारायण झा, नीलेश दीपक, अभिनीत एहि फ़िल्ममे 11टा सुन्नर गीत अछि. रश्मि रानी, पवन नारायण, अंशुमाला, संजय झा, सोनी झा, गीतिका, राधा पाण्डेय, पूजा झा आदि स्वर देने छथि. उक्त दुनू फ़िल्मक गीत आ संगीत कर्णप्रिय अछि. (Report/Photo : भास्कर झा)
Previous Post Next Post