सरस्वती पूजाक तैयारी चरम पर

>  होयत नाटक आ बहुविध सांस्कृतिक कार्यक्रम
मधुबनी. मिथिलामे शक्ति उपासनाक पुरान परंपरा रहल अछि. एकदिस चैत आ आसिनमे दुर्गापूजा, कातिकमे काली पूजा गाम-गाममे अत्यंत हर्षोल्लास पूर्वक मनाओल जाइत अछि तऽ दोसर दिस माघ मासक सीर-पंचमीकेँ विद्याक अधिष्ठात्री देवी सरस्वतीक अराधना प्रायः घरही कएल जाइत अछि. मुदा, एखनो सरस्वती पूजा बहुत थोड़ ठाम सार्वजनिक रूपेँ मनाओल जाइत अछि. मधुबनी जिलान्तर्गत सड़रा, मदनेश्वर स्थान, जतए मदनेश्वर नाथ महादेव लोकक असीम आस्थाक लेल प्रसिद्ध छथि ओतहि सड़रा बस्तीमे होमय बला त्रिदिवसीय सरस्वती पूजन, उक्त अवसरपर होमय बला नाटकक मंचन आ बहुविध सांस्कृतिक कार्यक्रम तथा चारिम दिनक हवन-विसर्जन सेहो बेस प्रतिष्ठित अछि. 1982 ई.सँ निरंतर भऽ रहल ई चारि दिवसीय आयोजन एहूबेर आगामी 15 फरबरी 2013 सँ आयोजित कएल जाएत जकर तैयारीमे स्थानीय "आदर्श सरस्वती पूजा समिति, सड़रा, मदनेश्वर स्थान"क कार्यकर्ता लोकनि अत्यंत उत्साह पूर्वक लागि गेल छथि. प्राप्त सूचनाक अनुसार, एहिबेर 15 फरबरीकेँ दिनमे सरस्वती-पूजन आ तदोपरांत प्रसाद वितरण होयत तथा रातिमे गामक नवयुवक द्वारा नाटकक मंचन होयत. दोसर दिन पूजादिक बाद छात्र-छात्राक लेल संभाषण, संगीत तथा क्विज प्रतियोगिताक आयोजन कएल जाएत तथा रातिमे ग्रामीण द्वारा सांस्कृतिक कार्यक्रम आ नाटकक मंचन कएल जायत.

समिति अपन पछिला 32 बरखक क्रिया-कलापकेँ एहिबेर एकटा स्मारिकाक रूपमे लिपिबद्ध करबाक नेयार सेहो कएलक अछि आ एहि स्मारिकाक विमोचन तेसर दिन दिनुका पूजादिक बाद, दुपहरिया 2.30 बजेसँ गामक गणमान्य व्यक्तिक उपस्थितिमे कएल जाएत. एहि अवसरपर गामक नवयुवक सभ द्वारा एकटा छोट-छीन सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन करबाक सेहो नेयार कएल गेल अछि. तेसर राति लल्लनप्रसाद ठाकुर लिखित मैथिली नाटक "लौंगिया मेरचाइ"क मंचन होयत जाहिमे समितिक नाटक प्रभाग, "आदर्श सरस्वती नाट्यकला परिषद''क वरिष्ठ कलाकार लोकनि भाग लेताह. ज्ञात हो जे "आदर्श सरस्वती नाट्यकला परिषद" द्वारा पछिला 32 सालसँ निरंतर सरस्वती पूजाक अवसरपर नाटकक मंचन कएल जा रहल अछि जाहिमे प्रथम आ दोसर राति नवयुवक सभ आ तेसर राति वरिष्ठ कलाकार सभ द्वारा नाटकक मंचन कएल जाइत अछि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Maithili News, Mithila News,  Maithili Sahityakaar, Gajal, Kavita, Sampark, Goshthi, Maithili News
Previous Post Next Post