कलकत्ता. मलंगिया नाट्य महोत्सव मे 'जुआयल
कनकनी' खेला क' आयल मिथिला विकास परिषद् केर रंगकर्मी लोकनि अपन दर-दुनिया
मे रमि गेलाह. दोसर दिस परिषद् केर अध्यक्ष अशोक झा सेहो नेपथ्ये मे बनल
रहलाह. एम्हर सुसुप्त भेल नाट्य संस्था मिथियात्री झंकार संग अपन नबका दान
शुरू केलक अछि आ गुणनाथ झा लिखल नाटक 'शेष नइ' केर मंचन रविदिन करय जा रहल
अछि. ओम्हर मैथिल लोकनि मिथिला महोत्सव केर बकियओता कार्यक्रम केर
खोज-पूछारि मे लागल छथि. जखन एहि विषय मे मिथिमीडिया मिविप अध्यक्ष अशोक झा
सं संपर्क कयलक त' अजबे जवाब भेटल. अशोक झा कहलनि जे एखन ओ एक 'सीक्रेट
मिशन' मे लागल छथि. ई पूरा क' अगिला कार्यक्रम केर विषय मे जनतब देताह. जखन
हुनका सं 'सीक्रेट मिशन' केर विषय मे बात लेबाक प्रयास कयलगेल त' ओ बजलाह
जे ई भेद एखन नहि कहब. समय सं सूचना सार्वजनिक कयल जायत. मिथिला महोत्सव
केर बकियओता कार्यक्रम केर विषय मे हुनक कहब छलनि जे फरवरी मध्य मे
कार्यक्रम हेतैक. एकरो दिवस आदि केर सूचना बाद मे भेटत. एखन मिशन छोडि किछु
आओर नहि सोचै छियैक. अशोक झा बेस बुद्धिमता सं 'सीक्रेट मिशन' केर भेद
नहि सार्वजनिक कयलनि, मुदा मोनक जिज्ञासा एहि सं कहाँ शांत होयत. आब बाट
ताकय पडत जे कहिया ओ 'सीक्रेट मिशन' समाप्त हो आ समाद सार्वजनिक हो.(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)