नव दिल्ली. अंतरराष्ट्रीय मैथिली
परिषद् द्वारा आयोजित धरना प्रदर्शन केर पूर्ण तैयारी भ' गेल अछि. परिषद् सहित मिथिला राज्यक मांग कें लेल समूचा भारतवर्ष सं मैथिल दिल्ली मे एकत्र भ' रहल छथि. परिषद् दिस सं देल जनतब केर अनुसार 10 दिसंबर 2012 कें हजारो केर संख्या मे लोक जुटताह. प्रवक्ता डॉ धनाकर ठाकुर केर अनुसार मिथिला कें खंडित करबाक खडयन्त्र चलि रहल अछि. अंग-वज्जिकांचल, कोसी-सीमांचल सभ मिथिला अछि. हमरा सभ कें कुचक्र केर विरुद्ध मे मिथिला लेल प्रयास करबाक चाही. मिथिलाक विषय मे भ्रान्ति पैदा करब भारतक सनातन हिन्दू धर्मक इतिहासक संग खेलवाड़ अछि. मिथिला राज्य कें मांग कें ल' दिल्लीक जंतर मंतर पर 10 दिसंबर 2012 कें विशाल धरना देल जायत.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)