मिथिला मे नवान्न, पहिल अन्न आएल आँगन

मिथिला भरि मे आइ नवान्न आँगन आएल अछि. ई पावनि मिथिलाक कृषि परंपरा आ अन्नक महत्व केर सूचक अछि. आजुक दिन आँगन- घर नीपल जाइत अछि. अरिपन पड़ैत अछि आ सूर्य केर आराधना सेहो कयल जाइत अछि. गृहस्थ खेत सं  धानक शीश काटि क' अनैत अछि. ओही कें उखड़ि मे कूटल जाइत अछि आ चूरा बनाओल जाइत अछि. ओहि चूरा कें दूध आ गूड़ मिला लवनिया चिपड़ी सं पका प्रसाद बनाओल जाइत अछि. मिथिलाक ई पर्व  श्रद्धा ओ गृहस्थ परंपरा केर सूचक अछि. मिथिमीडिया डेस्क
Previous Post Next Post