विद्यापति स्मृति संध्याक आयोजन

कलकत्ता. कार्तिक धवल त्रयोदशी मिथिला लेल कोनो पावनि सं कम नहि आ विद्यापति कोनो देव सं कम नहि. हुनक पुण्यतिथि कें मैथिल जतय -ततय व्यापक रूपें मनबैत छथि. भाषा-संस्कृति पर विद्यापतिक जे प्रभाव अछि तकरा मोन पाड़बाक लेल आ विचार- विमर्श लेल मिथिला सांस्कृतिक परिषद् सभ साल विद्यापति स्मृति संध्या आयोजित करैत अछि.
एहि साल पुनः मध्य कोलकाता अवस्थित विद्यापति विद्यामंदिर मे सोमदिन 26 नवम्बर 2012 कें विद्यापति स्मृति संध्या 6 बजे सांझ स' आयोजित अछि. जतय प्रवासी मैथिल बुद्धिजीवी ओ मैथिली सेवी एकत्र भ' विद्यापति कें श्रद्धा अर्पित करैत मैथिलीक दशा-दिशा पर विचार-विमर्श करताह.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post