टनाटन छथि कुंज बिहारी, शीघ्रहि अओताह मंच पर

मधुबनी. मैथिली संगीत प्रेमी लेल हरखक समाद अछि जे प्रसिद्ध मैथिली गायक कुंज बिहारी शीघ्रहि मंच पर अयबाक स्थिति मे पहुंचि जयताह. जखन कि एहन कहल जा रहल छल जे ओ आब गाबिए ने सकैत छथि. ज्ञात हो जे किछु मास पूर्व भीषण सड़क दुर्घटना मे कुंजबिहारी गंभीर रूपें घायल भ' गेल छलाह आ' पटनामे हुनकर कान्हक ऑपरेशन भेल छल. ओही दुर्घटना मे कएक गोट संगीत कर्मी मारल गेल छलाह. 
कुंजबिहारी मिथिमीडिया सं बातचीत मे बतओलनि जे ओ पछिला एकमाससँ मधुबनीमे अपन घरपर स्वास्थ्य लाभ करैत छलाह. पटनाक पॉपुलर नर्सिंग होममे डॉ जॉन मुखोपाध्यायक देख-रेखमे हुनकर इलाज चलि रहल छनि. मधुबनी सं पटना जयबाक क्रम मे कुंजबिहारी मिथिमीडिया कें जनौलनि जे हुनका पूर्णरूपेण स्वस्थ हेबामे करीब दू मास आओर लागि सकैत छनि. मुदा, मैथिलीभाषीक लेल हरखक विषय अछि जे ओ' अपन
गायनक अभ्यासमे पुनः जुटि गेलाह अछि. मिथिमीडियाक जिगेसाक उत्तर देइत ओ कहलथि जे अगिला दू मासमे पुन; मंचपर आबि जेताह से हुनका भरोस छनि. दुर्घटना मे मृत प्रसिद्ध नाल-वादक साजन राम गायिका अर्चना आ' बैन्जू वादक राजूक शोक-संतप्त परिवारक प्रति ओ अपन संवेदना सेहो व्यक्त कएलाह आ' यथा साध्य सहयोगक बात कहलनि संगहि एकबेर फेर मैथिल कलाप्रेमी सँ एहि तीनू परिवारक सहयोगक अपील कएलनि. इलाजक क्रममे भेटल सहयोगक चर्चा करैत कहलनि जे ओना तऽ किनको नाम लेब उचित नहि होयत किएक तऽ कमोबेस संपूर्ण मिथिलावासी आ' प्रवासीक आशीर्वाद, शुभकामना आ' प्रार्थनाक प्रतिफल छी जे हम ठाढ़ भऽ सकलहुँ, डॉ.बैजू, (विद्यापति सेवा संस्थान) जीवकांत मिश्र आ' मणिकांत जीक हुनक एहि विकट बेलामे विशिष्ट सहयोगक हेतु ओ सदति आभारी रहताह. अंतमे संपूर्ण मिथिलावासी-प्रवासी मैथिल आ' अपन शुभचिंतक सभकेँ समाद रूपमे कहलनि जे ओना तऽ फेरसँ मंचपर अयबा हेतु अपनाकेँ मानसिक रूपेँ तैयार करब हुनका लेल सहज नहि अछि, मुदा मिथिला-मैथिलक प्रति अपन दायित्व बुझैत ओ' निश्चित रूपेँ मंचपर अओताह आ' समाजक मनोरंजन करताह. मिथिमीडियाक हुनकर त्वरित स्वास्थ्यलाभक कामना करैत अछि.
— चन्दन कुमार झा
Previous Post Next Post