हम नेना बलक जोरगर छी

राजीव रंजन मिश्र केर एक बाल गजल

हम नेना मोनक सतगर छी
हम नेना बलक जोरगर छी

छी हम सराहल सभ तरहेँ
चच्चा नेहरूक पियरगर छी

ने मोन मे हमर छल प्रपंच
हम सुच्चा सोचक दमगर छी

माटि पानि केर खेलल कुदल
हम नेना देहक बलगर छी

बालो हम जगदानन्द भाखल
तै माटिक हम कपरगर छी

मिथिला मैथिली शान हमर यौ
से बातक हम ठेकनगर छी

'राजीव' मनाबैथ बाल दिवस
नेना भुटका लेल मोनगर छी
Previous Post Next Post