दिल्लीक बाद आब मिथिला मे

> नाटकक माध्यमे जनजागरण 
नव दिल्ली. मैथिल यूथ परिषद् दिल्ली मे अभिनयक परचम लहरयलाक बाद मिथिला दिस बढ़ल अछि. एहि आशय केर जतब देइत  परिषदक महासचिव मुकेश मिश्र कहलनि जे परिषद् दिल्‍ली मे नाटकक सफल आयोजनक बाद आब मिथिलाक धरती पर  मैथिली  नाटक 'आतंकवादी मुरारी बाबू'क मंचन करय जा रहल अछि. नाटकक लेखक आ निर्देशक मुंबई फिल्म जगतक कलाकार सागर झा छथि. मिथिला मे एहि नाटकक पहिल मंचन 12 नवंबर कए बरैल, मधुबनी मे भेल. जखन कि 13 आ 14  नंवबर कए फुलपरास, मधुबनी आ 20 कए जाता-काता, बेनीबग, मुजफ्फरपुर मे होएत.
ज्ञातव्य अछि जे परिषद एहि बेर दुर्गा पूजा मे एक नव प्रयोग करैत 'हमर एकता हमर प्रगति' घोष कें बुलंद करैत दिल्लीक कोना-कोना मे मैथिली नाटकक आयोजन आ प्रस्तुति करैत मशाल कें आगाँ बढब' मे सफल रहल छल.
'आय रौ घुटरा, ई की केलही !' हास्य-व्यंग्य स' परिपूर्ण दहेज़ प्रथा पर आधारित एहि नाटकक लेखक आ निर्देशक हिन्दी फिल्म उद्योग जगत मे स्थापित आ जानल-मानल अभिनेता सागर झा स्वयं दिल्ली मे उपस्थित भ' एहि मोहिम कें सफल बनेबाक उद्देश्य स' सभ सहयोगी कलाकार कें प्रशिक्षण द' एकर सफलतापूर्वक निष्पादन केने छलाह.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post