'विदेह विचार गोष्ठी- सह कवि सम्मेलन' संपन्न

> निर्मली मे भेल साहित्यकारक जुटान
> मैथिली कें अछि एहन आयोजनक खगता

नव दिल्ली/सुपौल. निर्मली मे 'विदेह गोष्ठी- सह कवि सम्मेलन' रविदिन ७ अक्टूबर २०१२ कें संपन्न भेल. ई आयोजन आकाशवाणी दरभंगाक जातिवादी प्रवृत्तिक आ दसटा घोर जातिवादी परिवारक मैथिली केँ मारबाक षडयन्त्र मे आकाशवाणीक दरभंगा केन्द्र द्वारा देल जा रहल सहयोगक विरोध मे भेल. अशर्फी दास साहु-समाज महि‍ला इण्टर महावि‍द्यालय, निर्मली, सुपौल में साहित्यकारक जुटान भेल. दू सत्र केर कार्यक्रमक पहिल सत्र मे विचार गोष्ठी भेल. एहि मे शंभू सौरभ, वीरेन्‍द्र कुमार यादव, रामदेव प्रसाद मण्‍डल ‘झारूदार’, राहुल कुमार, राम वि‍लास साहु, मनोज कुमार साहु, कपि‍लेश्वर राउत, मण्‍डल, नंद वि‍लास राय, कृष्‍ण राम, हेम नारायण साहु, राम प्रवेश मण्‍डल, विपिन कुमार कर्ण, उमेश पासवान, जगदीश प्रसाद मण्‍डल, बेचन ठाकुर, उमेश मण्‍डल, अच्‍छेलाल शास्‍त्री, उपेन्‍द्र नारायण अनुपम ओ अन्य अपन वक्तव्य रखलनि. ओ लोकनि मैथिली केर क्षेत्र मे व्याप्त अनैतिकताक विरोध केलनि. संगहि एकजूट भ' दुष्प्रवृतिक लोकक एकाधिकार कें समाप्त करबाक प्रण लेलनि.
संचालक द्वय पवन कुमार साह आ दुर्गानंद मण्‍डलअपन उद्गार व्‍यक्‍त करैत कहलनि‍, एहन वि‍चार गोष्‍ठी मासे-मास हेबाक चाही. मि‍थि‍लाक वि‍कासक बाधा पर बहुत रास जाति‍वादी मुद्दा अछि‍ जकरा जँ साहि‍त्‍यकार-वि‍द्वान नहि बुझताह तँ केs बुझत? अध्‍यक्ष राजदेव मण्‍डल सेहो अपन वक्तव्य मे मैथिली साहित्य मे पसरल अनैतिकता पर चोट करबा पर इजोत देलनि.
कार्यक्रमक दोसर सत्र मे कवि गोष्ठी केर आयोजन भेल जाहि मे
प्रेम आदि‍त्‍य कुमार, विपिन कुमार कर्ण, रामदेव प्र. झारूदार, दुगानंद ठाकुर, उमेश पासवान, नंद वि‍लास राय, पलल्‍वी कुमारी, अच्‍छेलाल शास्‍त्री, बेचन ठाकुर, हेम नारायण साहु, राम वि‍लास साहु, कपि‍लेश्‍वर राउत, राजदेव मण्‍डल, जगदीश प्रसाद मण्‍डल, पवन साह, दुर्गानन्‍द मण्‍डल इत्‍यादि‍ कवि कविता पाठ कयलनि.
(Report/Photo:समदिया)
Previous Post Next Post