शक्तिक आराधना मे लागल मिविप

> महिला लोकनि मे वस्त्र दान
कलकत्ता. दशमी मे समूचा जग मायक आराधना मे लागल अछि. मिथिला विकास परिषद् वृहस्पतिदिन, १८ अक्टूबर २०१२ कें बेरू पहर वस्त्र दान कयलक. बेस सादगीपूर्ण माहौल मे असहाय महिला लोकनि मे वस्त्र बाँटल गेल. ३३०० साडी ओ २१० सलवार-सूट वितरित कयल गेल.   परिषदक राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा जनतब देलनि जे एहि वस्त्र वितरण कार्यक्रम मे मात्र मिथिलानी नहि, सभ समाज केर महिला कें वस्त्र देल गेल. ओ कहलनि जे एहि मे लगभग ६० गोट मिथिलानी छलीह, जे मधुबनी, दरभंगा सहित मिथिला केर अन्य जिला केर छलीह. ओ कहलनि जे एहि वस्त्र वितरण कार्यक्रम सं एहनो मिथिलानी लाभान्वित भेलीह जे लोकनि कूड़ा-कचरा बीछि दिन काटै छथि. महानगर मे मिथिलाक अत्यंत अभावी लोकक सेहो कमी नहि अछि. अशोक झा कहलनि जे परिषद् जनसेवा दिस सेहो साकांक्ष अछि. वस्त्र वितरण कार्यक्रम मे बिनु भेद कयने सभ समाजक महिला मे वस्त्र वितरित कयल गेल. जतय आन समाजक संस्था सभ बेस आडम्बरक संग एहन आयोजन करैत अछि, ओतहि मिविप सादगीपूर्ण आयोजित कयलक. ई समूचा कार्यक्रम मिथिला महिला मंच केर अध्यक्ष शैल झा केर अगुआइ मे भेल.
मिविप कार्यालय लग भेल एहि कार्यक्रम मे मिथिला महोत्सवक तेसर दिनक साहित्यिक कार्यक्रम केर अंतिम सत्र मे नृत्य प्रस्तुत कयनिहारि मैथिल ललना सभ कें सेहो मिथिलाक पारंपरिक मिथिला पेंटिंग सं सज्जित वस्त्र प्रोत्साहन स्वरूपें प्रदान कयल गेल. जाहि मे भावना प्रतिहस्त, अपराजिता झा, शिक्षा झा, शिखा प्रतिहस्त, वंदना झा, सुमन साहु, पूजा झा, अलका झा ओ अन्य कें प्रोत्साहन पुरस्कार  देल गेल.
कार्यक्रम मे मो. कमलुद्दीन, मंतु कंदोई, गोपीकांत झा 'मुन्ना', नारायण ठाकुर, नन्द कुमार सिंह, मदन झा, निरंजन ठाकुर, अरुण मिश्र, शेखर वर्मा, पवन ठाकुर, विमलकांत मिश्र, गौरीशंकर मिश्र आदि लोकनि उपस्थित छलाह. कार्यक्रमक संचालन अंजय चौधरी कयलनि.
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post