मिथिलानी बदलि सकैत छथि समाज : करुणा झा

पत्रकार ओ मिथिलानी एक्टिविस्ट करुणा झा सँ चंदन कुमार झाक ऑनलाइन साक्षात्कारक प्रमुख अंश—

अहाँ एकटा सामाजिक कार्यकर्ताक रूपमे काज कऽ रहल छी संगहि 'दहेज मुक्त मिथिला'क उपाध्यक्ष सेहो छी. एहि विषय मे किछु जानकारी दिअ'?
हम सप्तरी (नेपाल मिथिला) मे रहैत छी, जे मिथिला केर केंद्र मानल जाइत छैक. दहेज़ मिथिला केर बहुत भीषण समस्या छैक. उच्च वर्ग मे ई बेसी छैक. लोक बेटी कें एहि हेतु बेसी शिक्षित नहि करैत अछि जे ओकर बियाह मे बेसी दहेज़ देबय पडत. समाज मे एहि सं बेजाय बात की भ' सकैछ.

ई जे 'दहेज मुक्त मिथिला' नामक संस्था अपने चलबैत छी तकर की उद्देश्य आ' कार्ययोजना अछि ?
दहेज़ केर विरोध आ समाज सं एहि कृत्यक अंत हमर सभक मूल उद्देश्य अछि. एहि हेतु हम सभ जनजागरण करैत छी. मुख्य रूप सं महिला सशक्तिकरण पर जोर देइत छी. महिला अपने सुदृढ़ रहत त' लोक सचेत भ' जायत. हमरा सभ कें ओहि बियाह केर बहिष्कार करबाक चाही जाहि मे दहेज़ देल-लेल गेल हो. बेटी कें अपना पयर पर ठाढ़ होयबाक अवसर देल जयबाक चाही.

नारीक शिक्षा आ' जागरूकताक लेल अहाँ सभ लग कोनो कार्ययोजना अछि ?
हम सभ दहेज़ केर विरोधे नहि, ओकर नामोनिशान मेटयबा लेल तत्पर छी. ताहि लेल महिला शिक्षा आ रोजगार मौलिक आवश्यकता छैक. समाज मे बेटी जखन अपन पयर पर ठाढ़ होमय लागत त' दहेज़ समापन होयत. एहि लेल गरीब घरक बेटी कें निशुल्क शिक्षा ओ रोजगार केर व्यवस्था करबाक कार्यक्रम अछि. काज कठिन छैक असंभव नहि. हम सभ अपन प्रयास क' रहल छी.  

अहाँ सभ जे नारी चेतनाक लेल गोष्ठी वा आन-आन आयोजन करैत छी से कोन स्तर पर ? एहि गोष्ठी सभ मे आम नागरिक, खासकऽ महिलाक सहभागिता कतेक रहैत अछि ?
हम सभ जतेक दिन सं एहि मे लागल छी आ जतेक काज कयल से सकारात्मक रहल अछि. शहरी क्षेत्र मे महिला सहभागिता छैक मुदा गाम-घर मे महिला जुटायब कठिन. ओना गाम-घर मे सेहो महिला एहि दिस झुकल अछि. हमर सभक कार्यक्रम मे  मानवाधिकार संस्था ओ बुद्धिजीवी वर्गक संग त' रहिते अछि.

दहेज मुक्त मिथिलामे शामिल हेबा सँ पहिने अहाँ कोन तरहक कार्यक्रम सभ चलबैत रही ?
हम बारह साल सं मैथिली अभियान सं जुडल छी. अंतर्राष्ट्रीय  मैथिली परिषद् केर नेपाल केर अध्यक्ष छी. मैथिली महासंघ नेपाल कें सदस्य आ स्वतंत्र पत्रकार छी. विगत ४ साल सं एफएम मे मैथिली मे समाद देइत छी. नेपालक समादपत्र गोरखापत्र मे मैथिली मे स्तम्भ लिखै छी. हमर विषय आ कलाप महिला केन्द्रित रहैत अछि.

आबय बला समय मे मिथिलाक बदलैत सामाजिक व्यवस्था कें धेयान मे रखैत अहाँ नारीक भूमिका केहन कऽ देखैत छी ?
पहिने केर अपेक्षा बहुत सुधार भेल अछि. जाओं मिथिलानी तैयार हेतीह त' मिथिला सं दमन- शोषण समाप्त भ' सकइए. लोकक मानसिकता सेहो बहुत हद धरि बदलल अछि. सचेष्ट महिला सभ समाज बदलि सकैत छथि.

सुधार कार्यक्रम लेल फंड कोना जोगारैत छी?
मिथिला/मैथिली क्रियाकलाप मे फंड नहि भेटैत छैक. बहुत लोक कार्यक्रम लेल उत्साहित करैत छथि मुदा फंड फंड नहि छैक. आश्वासनक कोनो कमी नहि अछि मुदा टाकाक कमी छैक. हमरा जनैत मिथिला मे सामाजिक सरोकारक काज अपन बटुआ सं लोक करैत अछि. मुदा से कतेक दिन लोक करत? एक दिस सरकारक उदासीनता आ दोसर दिन लोकक, दुनूक मारि खाइत लोक एहन कार्यक्रम करैत अछि. फंड चाहबे करी तखने कोनो पैघ कार्यक्रम आ अभियान सफल भ' सकैत अछि. तखन कटिबद्ध लोक काज करिते अछि.  
Previous Post Next Post