साहित्य सं तीतल रहत तेसर दिन

> मिथिला महोत्सवक तेसर दिनक कार्यक्रम
> रवि ओ कवि केर सुन्दर संयोग

कलकत्ता. मिथिला महोत्सवक तेसर दिनक कार्यक्रम काल्हि रविदिन २३ सितम्बर २०१२ कें भारतीय भाषा परिषद् मे आयोजित अछि. कार्यक्रमक संयोजक अंजय चौधरी केर अनुसार पूर्ण तैयारी क' लेल गेल अछि. मिथिला विकास परिषद् द्वारा आयोजित मिथिला महोत्सवक तेसर दिन साहित्य कें समर्पित अछि.
चारि सत्र मे विभाजित कार्यक्रम मे उद्घाटन-अभिभाषण सहित 'आधुनिक मैथिली कविताक दिशा आ दृष्टि' विषय पर संगोष्टी, काव्य गोष्ठी ओ भाव नृत्य कयल जायत.  बेरू पहर ४.३० बजे सं शुरू होमय वला एहि कार्यक्रम मे मैथिली लेखन क्षेत्र केर अनेको व्यक्तित्व केर सहभागिता रहत.
 (Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)  
Previous Post Next Post