-751356.jpg)
दोसर दिस दर्शकक इहो उपराग रहैत अछि जे मैथिली फिल्म दरभंगा-मधुबनी आ जनकपुर मे प्रदर्शित होइत अछि मुदा मिथिला केर पैघ भाग फिल्म देखबा सं वंचित रहि जाइत अछि. मिथिला केर कोसी अंचल मे मैथिली फिल्म प्रदर्शन शाइते होइत अछि.
एहना मे मैथिल दर्शक लेल एक हर्खक क्षण बाट ताकि रहल अछि. मैथिली फिल्म 'मुखियाजी' केर प्रसारण शनिदिन, २२ सितम्बर २०१२ कें दूरदर्शनक पटना केंद्र द्वारा सांझ ४ बजे सं कयल जायत. टीवी पर मैथिली फिल्म केर प्रसारण सं मिथिलाक समस्त दर्शक एकर आनंद उठा सकैत अछि.
(Report/Photo: मिथिमीडिया सिने ब्यूरो)