मिथिला समाद : पांचम वर्ष मे प्रवेश

कोलकाता. मैथिली दैनिक 'मिथिला समाद' पंचम वर्ष मे प्रवेश कयलक अछि. एहि अवसर पर विशेष परिशिष्ट प्रकाशित भेल अछि. आचार्य चन्द्रनाथ मिश्र 'अमर', डॉ. रामदेव झा ओ डॉ. शंकरदेव झा सहित लगभग 23 गोट रचनाकारक लेखनी आ दृष्टि सं परिपूर्ण अछि 'मिथिला समाद' केर 20  पृष्ठक चतुर्थ वर्षपूर्ति विशेषांक.
'मिथिला समाद' अति धैर्यवान ओ कर्मठ सम्पादक तारा कान्त झा केर सान्निध्य मे निरंतरता बनओने अछि, आस जगओने अछि. किछु जादो करत से विश्वास अछि, बहुत उंच आकाश अछि. 'मिथिला समाद' परिवार कें हार्दिक शुभेच्छा ओ मंगलकामना.
Previous Post Next Post