प्रतिभाक होयत सम्मान ओ अभिनन्दन

> 2 सितम्बर कें विद्यापति स्मारक मंचक कार्यक्रम 
कोलकाता. छात्र/छात्रा केर प्रोत्साहन आवश्यक होइत अछि. ई तखन बेसी महत्वपूर्ण भ' जाइत अछि जखन कोनो परीक्षा मे छात्र/छात्रा मेहनति क' सफलता अर्जित करैत अछि. नव चुनौती आ नव बाट चलबा मे प्रोत्साहन नव उर्जा भरैत छैक. सांस्कृतिक महानगरी कोलकाता स्थित सामाजिक व सांस्कृतिक संस्था विद्यापति स्मारक मंच अपन शैशवावस्था सं मिथिलाक भविष्यक नागरिक/मैथिली भाषी छात्र-छात्रा कें प्रतिभा प्रोत्साहनक अभीष्ट सं संवर्द्धन करैत आबि रहल अछि. आगामी 2 सितम्बर 2012, तदनुसार रविदिन सांझ 4:30 बजे सं 14म आयोजन करय जा रहल अछि. महासचिव इन्द्र नारायण झाक अनुसार लगभग 50टा छात्र-छात्रा कें पुरस्कृत कयल जायत. अहि अवसर पर समाजक कृतिपुरुष यथा पूर्व रेलवे केर प्रधान मुख्य अभियंता आनंद किशोर झा एवं मैथिली साहित्यविद नवीन चौधरी कें अभिनन्दन कयल जायत. आयकर आयुक्त एवं आयकर निदेशक (छूट) अजय नारायण सिंह  मुख्य अतिथिक रूप मे आ  आइआइएम, कोलकाताक डॉ विद्यानन्द झा प्रधान वक्ताक रूप मे उपस्थित रहताह. मुख्य समारोहक अध्यक्षता प्रसिद्ध शिक्षाविद भोगेन्द्र झा करताह. अहि समारोहक समापन सांस्कृतिक कार्यक्रमक संग होयत.
 (Report : भास्कर झा)

Previous Post Next Post