'गीत गयबइ आब साज संग'

कोलकाता. मिथिला महोत्सवक दोसर दिन आयोजित 'गीतगाइन प्रतियोगिता' केर विजयी गीतगाइन लोकनि साज-बाज संग गीत गयबा हेतु पूर्ण तैयार छथि. मिथिला महिला मंच द्वारा आयोजित आ मिथिला विकास परिषद् द्वारा समर्थित विशेष सम्मान समारोह मे गीतगाइन सभ संगीतक संग गीत प्रस्तुत करतीह. मिविप केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा मिथिमीडिया संग भेल बातचीत मे कहलनि जे प्रतियोगिता मे मात्र गीत छलैक संगीत नहि. परिषद् गीतगाइन केर सम्मान मे कार्यक्रम आयोजित कयलक अछि, जाहि सं गीतगाइन सभक उत्साह बढ़त. संगीतक संग गाबि गीतगाइन अपन गायन कला कें आओर निखारि आगाँ आबि सकैत छथि. अशोक झा कहलनि अछि जे मिथिला महोत्सव केर तेसर दिनक कार्यक्रम भारतीय भाषा परिषद् मे साहित्यिक विचार गोष्ठी ओ कवि सम्मलेन निर्धारित अछि.
ज्ञात हो जे गीतगाइन सम्मान समारोह दिगम्बर जैन भवन (मछुआ, बड़ाबाजार) मे रविदिन, 26  अगस्त 2012 कें होयत. एहि अवसर पर मीरा झा द्वारा संग्रहित ओ सुप्रसिद्ध मैथिल सेवी तेज नारायण झा द्वारा प्रकाशित 'श्री भगवती आराधना' पोथी केर विमोचन होयत.  
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)

Previous Post Next Post