गीतगाइन केर होयत सम्मान

कोलकाता. प्रतोयोगिता सेहो गीतगाइन प्रतियोगिता. लगइए ने किछु विशेष? ई प्रतियोगिता मिथिला महोत्सव 2012 केर दोसर दिन आयोजित भेल छल.  कार्यक्रम मे प्रतियोगी मिथिलानी गीतगाइन केर संख्या सभ कें चकित कयने छल. एतबा नहि प्रतियोगी मिथिलाक सभ क्षेत्र केर छलीह. मैथिल दर्शक लोकनि हेतु एहि तरहक आयोजन अनुपम अछि. कार्यक्रम केर सफलता ओ मिथिलानी केर उत्साह कें देखैत गीतगाइन सभ कें सम्मानित करबाक ठनलक अछि मिथिला विकास परिषद्. जनतब देइत मिविप केर राष्ट्रीय अध्यक्ष अशोक झा कहलनि अछि जे मिथिला महोत्सव केर तेसर दिनक कार्यक्रम भारतीय भाषा परिषद् मे साहित्यिक विचार गोष्ठी ओ कवि सम्मलेन निर्धारित अछि. ओहि सं पहिने गीतगाइन लोकनि कें सम्मानित कयल जायत. ई कार्यक्रम दिगम्बर जैन भवन (मछुआ, बड़ाबाजार) मे रविदिन, 26  अगस्त 2012 कें होयत. एहि अवसर पर मीरा झा द्वारा संग्रहित ओ सुप्रसिद्ध मैथिल सेवी तेज नारायण झा द्वारा प्रकाशित श्री भगवती वंदना पोथी केर विमोचन होयत.  
(Report: मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post