मिथिमीडिया केर पहिल प्रोमोशनल कार्यक्रम

कोलकाता. मिथिला, मैथिली ओ मैथिल केर समाद, सरोकार, साहित्य, सिनेमा आदि केर प्रसारक उद्देश्य सं शुरू भेल मैथिली समाद पोर्टल अपन लांचिंग केर पहिल दिन (15 अगस्त, 2012 )  प्रचार करय पहुंचल बेलूर/बाली. अवसर छल मिथिला सेवा समिति केर छात्र-छात्रा केर सम्वर्द्धन कार्यक्रम. मिथिमीडिया टीम समिति केर कार्यक्रमक मध्य सत्र मे अपन विचार रखलक. उपस्थित मैथिल वृन्द आ समिति केर सहयोग पूर्ण रूपें भेटल. ई प्रचार कार्यक्रम मिथिमीडिया टीम केर उत्साह कतेको गुना बढ़ा देलक अछि. पाठक लोकनि हमर प्राण छथि. ओ लोकनि धीर ध' संग देथि. भूल-चूकि संभव. सलाहक स्वागत. प्रोमोशन कार्यक्रमक किछु छवि अपन पाठक हेतु —




Previous Post Next Post