#हम्मरकविताहमरेस्वर: मैथिली कविता कें समर्पित Web Series!

साहित्य समाजहित लेल होइछ आ एकर इजोत बेसी सं व्यक्ति धरि पहुंचै ताहि हेतु मिथिमीडिया लगातार प्रयास क’ रहल अछि.

ट्रेंड सेटिंग सं ल’ जनसमूह कें प्रेरित करबाक काज मे एहि डिजिटल प्लेटफ़ॉर्म कें थोड़-बहुत सफलता भेटलैक अछि. हालांकि इंटरनेट सुलभ भेने आब प्रत्येक रचनात्मक लोक अपने प्रकाशक-प्रसारक छथि. तथापि बेहतर प्रस्तुतीकरण लेल समय, प्रतिभा आ धन तीनू लगैत छै.

मैथिली मे मीडियाक खगता त’ छै, मुदा एकर स्थापना, सञ्चालन आ विकासक चिंता ककरो नै छै. 

एहना स्थिति मे जे सब तरहें मजगूत रचनाकार छथि सैह सभतरि छथि. प्रतिभाक मोजर आ स्थान कमतर होइत गेल अछि.

मिथिमीडिया एही वेकेंट कें भरबा लेल अपना स्तर सं प्रतिभावान कवि लोकनिक लेल एकटा सीरीज शुरू केलक अछि

#हम्मरकविताहमरेस्वर 

ई मिथिमीडियाक यूट्यूब चैनल पर समय-समय पर प्रसारित कएल जाएत.

सबस्क्राइब करी: https://goo.gl/tSyLfF

ताबत एहि अंकक प्रस्तुति सुनल जाए!





Previous Post Next Post