सरस्वती पूजनपर मैथिली संगीत, मिथिला पेंटिंग आ पोथीमेला

मुंबइ : मुंबइ उपनगर विरार (प.) केर विराटनगरमे बिहार सरस्वती सेवा समिति द्वारा एगारहम पूजनकेर आयोजन भेल. जाहिमे विद्वान पंडित लोकनि द्वारा वेद पाठ ओ रूद्र पाठ भेल. विशेष पूजा आरती ओ पूजन विधि लोककें बेस आकर्षित केलक. एहि अवसर पर पोथीमेलाक संग मिथिला पेंटिंग प्रदर्शनी सेहो लगाओल गेल छल. सांस्कृतिक कार्यक्रममे रंजना झा, कंचन किरण ओ सुरेश आनंद द्वारा लोकगीत प्रस्तुत कएल गेल. सांस्कृतिक कार्यक्रमक प्रभारी मिथिलेश कुमार झा उक्त जनतब देलनि. कार्यकारिणी समिति सदस्य कमलकांत मिश्र (अध्यक्ष), विष्णु कुमार झा (सचिव), जितेन्द्र झा (कोषाध्यक्ष), अशोक झा, अवधेश सिंह, प्रदीप झा, रघुनन्दन साह, राम मिश्र, देवकांत झा, प्रकाश सिंह, दयाकांत ठाकुर ओ आनंद मोहन सहित किशोर झा, अरविन्द झा महत्वपूर्ण भूमिका निमाहलनि.

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post