समस्तीपुरमे फिल्मक शुटिंग शुरू


समस्तीपुर : आनंद फिल्म्स प्रोडक्शन हाउसक बैनरसं बनाओल जा रहल फ़िल्मक शुटिंग शुरू अछि. शुटिंगकेर शुरुआत पूर्व सांसद आलोक कुमार मेहता ओ निर्माता-निर्देशक नरेश मंडल केलनि. विगत नवंबरसं एहि फ़िल्मक शुटिंग भ' रहल अछि. निर्देशक नरेश मंडल मिथिमीडियाकें बतओलनि जे जाड़कें देखैत शुटिंगमे दिक्कत अबइए तथापि हम सभ लागल छी. फ़िल्मक कथा एक बुद्धिमान नेना पर आधारित अछि. एहि फ़िल्मक बेस शुटिंग समस्तीपुरेमे होयत.

फ़िल्मक लेखक दिलीप कुमार शाह, प्रोडक्शन हेड प्रभात राय, सहयोगी निर्देशक अंजली कुमारी ओ क्रिएटिव डायरेक्टर विभा कुमारी छथि. फ़िल्मक नाओकें एखन जाहिर नै कएल गेल अछि. 

(रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post