वेलेंटाइन डे पर 'घोघ मे चाँद'

दड़िभंगा: मैथिली सिनेमा गति पकड़ने जा रहल अछि. विगत किछु वर्ष सं फ़िल्म निर्माण केर स्थिति सृदृढ़ भेल अछि. एहि वेलेंटाइन डे पर मैथिली फ़िल्म 'घोघ मे चाँद' प्रदर्शित होमय जा रहल अछि. उदय राज कृत एहि फ़िल्म मे मैथिली कला क्षेत्र केर नामी कलाकार लोकनि कें देखल जा सकैत अछि. पवन नारायण केर संगीत सं सजल  मनोरंजन सं भरपूर पारिवारिक फ़िल्म अछि 'घोघ मे चाँद'. 14 फरवरी कें दड़िभंगा सहित मिथिला क्षेत्र मे ई फ़िल्म प्रदर्शित कयल जायत. ज्ञात हो जे विगत 11 फरवरी कें चंद्रधारी सिंह संग्रहालय, दड़िभंगाक सभागार मे एहि फ़िल्म केर ऑडियो रिलीज भेल अछि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post