साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' करत पोथी प्रकाशित

कलकत्ता: साहित्यिक गोष्ठी संपर्क केर एहि मासक बैसार विगत रविदिन (9 Feb) भेल. प्रत्येक मासक दोसर रवि कें होमयवला एहि बैसार मे महानगर केर कतेको साहित्य्कार लोकनि भाग लेलनि. गोष्ठी केर अध्यक्षता नवीन चौधरी कयलनि. चंदन कुमार झा, मिथिलेश कुमार झा, आमोद कुमार झा ओ नवीन चौधरी अपन रचना पढ़लनि. नवीन प्रकाशन कार्यालय मे आयोजित एहि गोष्ठी मे योगेन्द्र पाठक 'वियोगी' सेहो उपस्थित छलाह. संगहि देवीशंकर मिश्र सहित मिथिला सांस्कृतिक परिषद् सदस्य लोकनि सभ सेहो भाग लेलनि. वरिष्ठ साहित्यकार नवीन चौधरी पोथी समीक्षा पढ़लनि जे गोष्ठीक मुख्य आकर्षण रहल. नवीन चौधरी द्वारा 'वियोगी' केर टटका प्रकाशित पोथी 'विज्ञानक बतकही' केर समीक्षा पढल गेल. 
जनतबक अनुसार 'संपर्क' विगत गोष्ठी सभ मे पढल गेल रचनादि केर संकलन निकलबाक नियार केलक अछि. साहित्यिक दृष्टि सं ई पोथी बेस महत्वपूर्ण होयत. एहि हेतु साहित्यकार लोकनि जे एहि गोष्ठी मे रचना पढ़ैत रहलाह अछि, हुनका सभ सं संपर्क साधल जा रहल अछि ओ रचना संग्रह कयल जा रहल अछि. 'संपर्क' केर एहि डेगक स्वागत अछि.(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post