भीमनाथ झा कें देल गेलनि 'प्रबोध साहित्य सम्मान'

सहरसा: प्रबोध साहित्य सम्मान 2014 मैथिलीक विद्वान भीमनाथ झा कें देल गेलनि अछि. हुनका ई सम्मान मैथिली साहित्य मे हुनक योगदान कें देखैत देल गेलनि अछि. विगत रवि कें सहरसा मे आयोजित एक कार्यक्रम मे हुनका सम्मानित कयल गेल अछि. एहि अवसर पर झा कें स्वस्ति फाउंडेशन दिस सं एक लाख टाका केर चेक ओ प्रशस्ति पत्र देल गेलनि. भीमनाथ झा मैथिली मे दर्जनो पोथी लिखने छथि. मैथिली साहित्य मे हुनक योगदान अमूल्य अछि.
ज्ञात हो जे मैथिली भाखा साहित्य मे उल्लेखनीय योगदान हेतु प्रत्येक वर्ष स्वस्ति फाउंडेशन दिस सं प्रबोध साहित्य सम्मान देल जाइत अछि. प्रबोध नारायण सिंह केर नामे ई पुरस्कार देल जाइत अछि. प्रबोध बाबू मैथिलीक अग्रिम पंक्ति केर साहित्यकार, सम्पादक ओ कार्यकर्ता छलाह. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो) 
Previous Post Next Post