एहि बेर नहि लागत ठहक्का!

कलकत्ता: होरी केर समइया छै. फगुआ केर बसंती बयार बहइ छै. सभ ओहिना छै, जेना विगत बरख छल. की सभ ओहिना छै? मैथिली सांस्कृतिक संगठन 'कोकिल मञ्च' एहि बेर ठहक्का नहि लगाओत. मैथिल समाजक मध्य नाटकक लगातार मंचन कयनिहार संस्था केर सालाना आयोजन 'फगुआ ठहाक्क' एहि बेर नहि होयत. मञ्चक सचिव नबोनारायण मिश्र मिथिमीडिया कें जनाओलनि जे बीतल बरख कोकिल मञ्च केर उपाध्यक्ष रहल नरेंद्र कुमार झा केर असामयिक निधन भ' गेल छलनि. एहि सं व्यथित संस्था सदस्य लोकनि एहि बेर 'फगुआ ठहाक्क' कार्यक्रम नहि करबाक निश्चय कयलनि अछि. नबोनारायण मिश्र कहलनि जे मध्यमग्राम कांड सेहो मैथिल लोकनि कें दुखित क' देने अछि आ हमरा लोकनि एहि कें देखैत उमंग-उल्लास मनाएब उचित नहि बुझैत छी. ज्ञात हो जे नाटक 'अलख निरंजन' केर मंचनक अवसर पर सेहो नरेंद्र कुमार झा केर मृत्यु पर किछु क्षणक मौन राखि शोक प्रकट कयल गेल छल. 
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post