कृष्णमोहन ओ ज्योत्सना कें सम्मान

पटना. चेतना समिति, पटना द्वारा प्रतिवर्ष देल जाइत कीर्ति नारायण मिश्र साहित्य सम्मान, 2013 मैथिली साहित्यकार कृष्णमोहन झा कें हुनक कविता संग्रह ‘एकटा हेरायल दुनिया’ हेतु देबाक निर्णय विद्यापति भवन, पटनामे जूरी मण्डलक भेल बैसारमे कएल गेल. जूरी मण्डलमे मोहन भारद्वाज, उदयचन्द्र झा ‘विनोद’ एवं अशोक छलाह. एहि सम्मानक अन्तर्गत एगारह हजार नकद, प्रशस्तिपत्र आदि देल जाइत अछि. चेतना समिति, पटनाक तत्त्वावधानमे आयोजित 60म विद्यापति स्मृतिपर्व समारोहक अवसर, जे 15 नवम्बरसँ 17 धरि आयोजित अछि, 15 नवम्बर, 2013 कें प्रदान कएल जएतनि. एहि विषय मे संयोजक डा. रमानन्द झा ‘रमण’ जनतब देलनि. एकर संगहि 'यात्री चेतना सम्मान' हेतु ज्योत्सना चन्द्रम चुनल गेलीह अछि. चन्द्रम मैथिली कथा, नाटक आदि लिखने छथि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)
Previous Post Next Post