मायानंद मिश्र ओ जीवकांत कें देल गेल श्रद्धांजलि

कलकत्ता. महानगर केर विद्यापति विद्यामंदिर मे साहित्यिक गोष्ठी 'संपर्क' ओ मिथिला सांस्कृतिक परिषद् द्वारा मायानंद मिश्र ओ जीवकांत केर श्रद्धांजलि सभा आयोजित कयल गेल. सांझ ५ बजे सं आयोजित सभा मे शहरक साहित्यकार लोकनि बहुसंख्या मे जुटल छलाह. रामलोचन ठाकुर केर अध्यक्षता ओ मिथिलेश कुमार झा केर सञ्चालन मे कार्यक्रम शुरू भेल. उपस्थित समस्त लोकनि मायानंद ओ जीवकांत केर छवि पर माल्यार्पण कयलनि. आ तत्पश्चात उपस्थित लोकनि दुनू दिवंगत साहित्यकारक प्रति अपन श्रद्धा प्रकट कयलनि.
कार्यक्रम मे रामलोचन ठाकुर, नवीन चौधरी, शंकर झा, योगेन्द्र पाठक 'वियोगी', लक्ष्मण झा 'सागर', नबोनारायण मिश्र, चन्दन कुमार झा, रूपेश त्योंथ, आमोद कुमार झा सहित अन्य लोकनि अपन विचार रखलनि. परिषद् अध्यक्ष सुरेन्द्र नारायण झा सेहो दुनू साहित्यकार लोकनिक अवदान पर इजोत देलनि. पवन मिश्र धन्यवाद ज्ञापन कयलनि. कार्यक्रम मे देवीशंकर मिश्र, रोहित कुमार मिश्र, गंगा झा, ललन, कुमार झा, कामेश्वर झा 'कमल', प्रकाश झा आदि अनेक लोकनि उपस्थित भ' दुनू साहित्यकारक प्रति अपन श्रद्धा प्रकट कयलनि. (Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो) 
Previous Post Next Post