जीवकांत केर स्मृति मे सभा

कलकत्ता. मिथिला विकास परिषद् केर केन्द्रीय कार्यालय मे दिवंगत साहित्यकार जीवकांत केर स्मृति सभा शनिदिन (२१ सितम्बर) आयोजित कयल गेल. सभा मे परिषद् कार्यकर्ता सहित मैथिली नेही लोकनि उपस्थित भेलाह. परिषद् अध्यक्ष अशोक झा जीवकांत केर निधन भेने मैथिली साहित्य कें बेस क्षति भेल अछि, बतओलनि.  मैथिली नेही लोकनि अपन-अपन वक्तव्य सेहो रखलनि.
सभा मे साहित्य अकादेमी केर संयोजिका वीणा ठाकुर, प्रख्यात लेखक सुरेश्वर झा सेहो उपस्थित छलाह. एकर संगहि कार्यक्रम मे बिनय भूषण, अमरनाथ झा 'भारती', आमोद कुमार झा, रत्नेश्वर झा, चन्दन कुमार झा, अंजय चौधरी आदि साहित्यकार लोकनि जीवकांतक प्रति अपन विचार रखलनि.
(Report:  मिथिमीडिया ब्यूरो)  
Previous Post Next Post