भंसालीक फिल्म पद्मावतीक फ्रेंच कनेक्शन एतय भेटत!

संजय लीला भंसालीक फिल्म पद्मावती कें ल' देशभरि मे बहस जारी अछि. 

राजपूत संगठन करणी सेना फिल्मक विरुद्ध लगातार प्रदर्शन क' रहल अछि. फिल्म मे रानी पद्मावतीक पाट लेनिहारि अभिनेत्री दीपिका पादुकोणक विरुद्ध फतवा जारी क' देल गेल अछि. 

उत्तर प्रदेश, मध्य प्रदेश, बिहार सहित लगभग आधा दर्जन भाजपा आ भाजपा समर्थित राज्य सरकार फिल्मक प्रदर्शन अपन राज्य मे नै करए देबाक घोषणा केलक अछि.

ओम्हर दोसर दिस पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जी कहलनि जे पश्चिम बंगाल मे फिल्मक प्रदर्शन होएत. 

फिल्म पर विवाद टीवी चैनल सबहक टीआरपी बढ़एबाक लेल नीक खोराक बनि गेल अछि। सोशल मीडिया पर सेहो पद्मावती पर खूब चर्चा भ' रहल अछि.

मोटामोटी मानल जा रहल अछि जे ई फिल्म मलिक मुहम्मद जायसी केर काल्पनिक रचना पद्मावत पर आधारित अछि. जायसी केर पद्मावत पर टीवी चैनल आ सोशल मीडिया सभ पर एतेक रास चर्चा भ' चुकल अछि जे कहानी सबहक जुबान पर आबि गेल अछि.

मुदा, संजय लीला भंसाली पूरा विवाद कें ल' चुप्पे छथि. हुनक चुप्पी सं लगैत अछि जे पद्मावती केर कथा ओतबे नै हेतैक जतेक मलिक मोहम्मद जायसी लिखने छथि.

एहना लागि रहल अछि जे एहि फिल्मक फ्रेंच कनेक्शन सेहो भ' सकैत अछि! एहि कें पाछू ओजह ई अछि जे संजय लीला भंसाली फ्रेंच कंपोजर रॉबर्ट रॉसेल द्वारा 1923 मे रचल गीतिनाट्य 'पद्मावती' केर मंचन पछिला 9 साल मे दू बेर क' चुकल छथि.

ओ साल 2008 मे पेरिसक ड्यू चैटलेट थियेटर मे एहि नाटकक मंचन केने छलाह, जकर खूब प्रसंशा भेल छल. भंसाली अपने एहि नाटक सं बहुत बेसी प्रभावित भेलाह आ पेरिसक बाद इटली मे सेहो ओ एहि म्यूजिकल ड्रामा केर मंचन क' चर्चित-बर्चित भेलाह.

पद्मावती नाटकक मंचन आ तकर बाद एही विषय पर फिल्मक निर्माण एहि दिस इशारा क' रहल अछि जे हुनक फिल्म एही नाटक पर आधारित भ' सकैत अछि.

ई नाटक लिखनिहार अल्बर्ट रॉसेल मलिक मुहम्मद जायसी केर पद्मावत सं बेस प्रभावित भेलाह आ ओ चित्तौरगढ़ केर दौरा सेहो केलनि. चित्तौरगढ़ जा ओ शोध केलनि आ फेर सन 1923 मे 'पद्मावती' ओपेरा लिखलनि.

जानकारी लेल बता दी जे अल्बर्ट केर जन्म 5 अप्रैल 1869 मे भेलनि. ओ फेमस म्यूजिक कंपोजर भेलाह आ पद्मावती सहित कइएक दर्जन गीतिनाट्य लिखलनि.

जओ ई मानि लेल जाए जे संजय लीला भंसालीक फिल्म अल्बर्ट केर नाटक पर आधारित अछि, त' फिल्मक रिलीजक बाद विवाद आओर बढि सकैत अछि. एकर कारण ई अछि जे नाटकक आखिरी हिस्सा मे राजपुताना पौरुषक स्थान पर रतन सिंह केर कायरता देखाओल गेल अछि. 

नाटक मे कहल गेल अछि जे अलाउद्दीन खिलजी सं युद्ध मे जखन राजा रतन सिंह नहि विजय प्राप्त क' सकलाह त' ओ पद्मावती कें खिलजीक हवाला करबाक फैसला करैत छथि. एहि फैसला सं नराज पद्मावती अपन अस्मिताक रक्षार्थ रतन सिंहक ह्त्या क' स्वयं कें आगि लगा हति लेइत अछि.

ज्ञात हो जे मलिक मुहम्मद जायसीक पद्मावतक अनुसार राजा रतन सिंह युद्ध मैदान मे अलाउद्दीन खिलजी सं लड़ाइ करैत मारल जाइत छथि आ रानी पद्मिनी अन्य रानीक संग सती भ' जाइत छथि.

आब देखबाक ई अछि जे भंसाली फिल्मक कहानी लेल ककरा स्रोत बनओने छथि. ई देखबाक लेल फिल्मक रिलीज केर बाट ताकय पड़त.

— उमेश कुमार राय

Previous Post Next Post