साहित्य अकादेमीक युवा पुरस्कार चन्दन ओ बाल साहित्य पुरस्कार अमलेंदु कें


साहित्य अकादेमी दिस सं प्रतिवर्ष देल जाएबला पुरस्कार मे सं दूटाक घोषणा आइ गोहाटी में भेल अछि. कविता संग्रह 'धरती सं अकास धरि' लेल युवा पुरस्कार चन्दन कुमार झा कें त' उपन्यास 'लालगाछी' लेल बाल साहित्य पुरस्कार अमलेन्दु शेखर पाठक कें देल जएतनि.

अकादेमी दिस सं मैथिली सहित मान्यताप्राप्त 24 भाषा मे उक्त पुरस्कारक घोषणा कएल गेल अछि. जूरी द्वारा अंतिम रूप सं चयन केलाक बाद अकादेमी अध्यक्ष विश्वनाथ प्रसाद त्रिपाठी आइ दुपहरिया मे पुरस्कारक घोषणा केलनि.

बाल साहित्य पुरस्कार लेल जूरी मे इन्द्रकांत झा, प्रभास कुमार झा आ शशिनाथ झा आ साहित्य अकादमी युवा पुरस्कार लेल जूरी मे वैद्यनाथ चौधरी, मन्त्रेश्वर झा आ डॉ योगेन्द्र पाठक 'वियोगी' छलाह. दुनू गोटे कें पुरस्कार स्वरूप ताम्रफलक आ पचास हज़ार टका साहित्य अकादमीक एक समारोह मे 14 नवंबर कें देल जाएत.
Previous Post Next Post