अधिकार दिवस पर मैथिली काव्य संध्या


कलकत्ता : स्थानीय तारासुन्दरी पार्क मे यात्री-नागार्जुन केर प्रतिमा लग 'काव्य संध्या' आयोजित भेल. मिथिला विकास परिषद् द्वारा मैथिली कें संविधानक आठम अनुसूचि मे स्थान भेटबाक उपलक्ष्य मे 25 दिसंबर कें काव्य संध्याक आयोजन कएल गेल. 


कवि लक्ष्मण झा 'सागर' केर अध्यक्षता मे आयोजित कवि गोष्ठी मे रसिकजी, अशोक झा सहित भोलीजी, आमोद कुमार झा, बिनय भूषण, अजय तिरहुतिया, चन्दन कुमार झा, रूपेश त्योंथ आदि लोकनि कविता पाठ केलनि. 

एहि अवसर पर रंगकर्मी भवनाथ झा सेहो अपन वक्तव्य रखलनि. प्रांगण मे मैथिली प्रेमी लोकनिक नीक जुटान भेल छल.

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post