रिषड़ा मे विद्यापति समारोह, 'रक्त' नाटकक भेल मंचन


हुगली/कलकत्ता : महानगरक उपनगरीय क्षेत्र रिषड़ा मे विगत रवि (29 नवम्बर) कें मिथिला कल्याण परिषद् द्वारा 33म वार्षिकोत्सवक उपलक्ष्य मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मनाओल गेल. कार्यक्रम जयश्री टेक्सटाइल्सक आदित्य बिरला वाणी भारती विद्यालय प्रांगण मे संपन्न भेल.


प्रसिद्ध रंगकर्मी भवनाथ झा केर संचालन मे शुरू भेल कार्यक्रमक उदघाटन जयश्री टेक्सटाइल विभाग केर मुख्य कार्यकारी एसके कृष्णमूर्ति द्वारा भेल. अध्यक्षता रंगकर्मी ओ समाजसेवी जीबेन्द्र मिश्र केलनि. एहि अवसर पर प्रधान वक्ता भास्कर झा मिथिला पेंटिंग कें बढ़ावा देइत अपन उत्पाद पर एकर प्रयोग करबाक परामर्श जयश्री टेक्सटाइल कें देलनि.


सुप्रसिद्ध गायिका अंजना इस्सर, रोशन कुमार झा केर गीत ओ जनार्दन ओझा केर संगीतक कार्यक्रम उपस्थित श्रोता कें विभोर केलक. एकर बाद मैथिली नाटकक मंचन कएल गेल. डॉ. अरविन्द अक्कू लिखित नाटक 'रक्त' केर मंचन रंजीत कुमार झा केर निर्देशन मे कएल गेल. नाटक दर्शक कें बेस पसिन पड़ल. 

रिपोर्ट : मिथिमीडिया ब्यूरो 
Previous Post Next Post