जर्मनीमे मोदी देलनि मिथिला पेंटिंग उपहार

नव दिल्ली : तीन देशक आधिकारिक विदेश दौराक दोसर चरणमे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी जर्मनीमे छथि आ ओ हेनोवरमे प्रधानमंत्री मोदी ओहिठामक मेयरकें मिथिला पेंटिंग भेंट केलाह। मैथिलक मध्य ई बेस चर्चाक विषय बनल अछि. मधुबनी/मिथिला पेंटिंग राष्ट्रीय कलाक रूपमे समादृत अछि आ देश-विदेशमे लोकप्रिय भेल अछि. दुनूपार (भारत-नेपाल)  मिथिलामे महिला लोकनि द्वारा ई पेंटिंग बनाओल जाइत अछि. मुदा  मधुबनीक किछु गाममे एकरा विशेष रूपसं सिखाओल आ बनाओल जाइत अछि, जाहि कारणेँ एकरा मधुबनी पेंटिंग रूपमे सेहो ख्याति प्राप्त छै. 


प्रधानमंत्री जे पेंटिंग जर्मनीमे उपहार देलनि से राष्ट्रीय पुरस्कारसं सम्मानित मधुबनी चित्रकलाक ख्यातिप्राप्त बौआ देवी द्वारा बनाओल छल. प्रधानमंत्री कार्यालय द्वारा जारी जनतबमे सेहो उक्त बात कहल गेल अछि. एहिकें ल' प्रधानमंत्री ट्विट सेहो केलनि अछि, जकरा मैथिल लोकनि सोशल मीडियापर बेस शेयरक' रहलाह अछि.

(समाद स्रोत)
Previous Post Next Post